विशेष – कमला कुल पर बसल नवादा, जगदम्बा के धाम छै।

Benipur News

Benipur News


बहेड़ा महाविद्यालय में कार्यरत प्रो. डॉ. अरविन्द झा नवादा गांव के रहने वाले हैं, उनके द्वारा लिखित बेनीपुर प्रखंड के अंतर्गत नवादा का संक्षिप्त इतिहास प्रस्तुत है…


मिथिला नगरी मे अहि गामक अपन ख़ास जगह छैक, स्वतन्त्रता संग्राम म’ दरभंगा जिला क’ सब सँ बेसी स्वतन्त्रता सैनानी अहि गाम मे भेलाह । बहेड़ा विधानसभाक (सकरी सँ कुशेश्वर तक ) पहिल विधायक पंडित जयनारायण झा विनीत भेला । शेरे बिहार सुखदेव पहलवान नवादाक शान छलाह जिनका नेपाल सरकार सँ ल’ क’ बिहार सरकार तक पहलवानक प्रशस्ति-पत्र प्राप्त  भेल । पूरा मिथिला म’ संस्कृत,  मैथिलीक अपन लेखनी आओर विद्वताक बल पर अलख जगेनिहार कंटक सनक विद्वान् नवादाक मान छलाह । अपन घरक  महिला फुलमाया देवी सूत कटाई मे संपूर्ण भारत मे विख्यात भेलीह, जिनका नेहरू, इंदिरा राजेंद्र बाबू आ विनोवा भावे अपना हाथ सँ कतेको बेर पुरस्कृत केलाह। ई महिला इलैचीं में जनेऊ भरैत छलीह । अनेको खादी उद्योगक निर्माता सेहो भेलीह, नवादाक पुतौह छलीह फुलमाया । जे जागल छै से सुतल छै जे सुतल छै से मरल छै।  ई कहावत क’ चरितार्थ केनिहार  अहि गामक गोनरा चोर मिथिला भरी में चपलता के कारण विख्यात छलाह,हिनकर विशेषता छल जे घरवारिक क’ कहि क’ चोरि करैत छलाह । संगहि चोरायल सामान  गरीब-गुरवाक बिच बाँटी दैत छलाह आइयो हिनक चर्चा गामक चौपाल पर होइत रहैत अछि। काँग्रेस आओर खादी सँ अपन राजनीति श्री गणेश केनिहार हरिश्चन्द्र बाबू बाद म’ भाजपाक सक्रिय कार्यकर्ताक  रूप म’ बेनीपुर विधानसभा म’ भाजपाक महलक निर्माण कयला। बेनिपुरक प्रमुखक पद पर सेहो आसिन भेला, बेनिपुर विधानसभा म’ हिनके  द्वारा निर्मित भाजपा आई अंगराई ल’ रहल अछि । बेनीपुर अनुमंडल, न्यायलय परिसर,बेनीपुर जेल,बेनीपुर अनुमंडल अस्पताल,नागार्जुन स्टेडियम संगहि सरकारी सबटा आवास नावादक भू-भाग पर बनल अछि । दरभंगा महाराजक बाद सब सँ पैघ जमींदारक गाम नवादा समस्तीपुर सँ ल’ क’ कुशेश्वरस्थान धरि नावादक भू-भाग पसरल छल ।दीपावली एक दिन पहिने पूरा भारत म’ मनायल जाइत अछि नवादा म’ ।एखन हिंदी जगतक विख्यात विद्वान् प्रोफेसर पृथविचंद  मेहन्दू, डॉक्टर मणिकांत, प्रोफेसर अवलेन्दु नवादाक लाल छथि। मिथिला-मैथिली मंचक नायक डॉक्टर चंद्रमणि नवादाक लाल छथि संगहि शिक्षक केसी सेहो ।नवादा म’+2उच्च विद्यालय,हरिजन विद्यालय,आदर्श कन्या विद्यालय,मध्य विद्यालय,संस्कृत विद्यालय,पांच टा प्राथमिक विद्यालय,खादी भण्डार,खेल मैदान विभिन्न देवी-देवताक मंदिर,जगदम्बा रेलवे हॉल्ट,पंचवटी चौक सँ जानल गाम नवादा |

Leave a Comment

इस पोस्ट से जुड़े हुए हैशटैग्स